maithili class 10th
Class 10 Maithili-मैथिलि-Objective Matric [कक्षा-10]

Class 10 Maithili VVI Question: मैथिली गद्ध खंड Chapter– 8 क्रेक

Class 10 Maithili VVI Question: इस लेख में मैथिली कक्षा 10 मैथिली गद्ध खंड Chapter – 8 क्रेक का Important Subjective Questions को अपने भाषा में देखने वाले है जो आपके Bihar Board Matric Exam के लिए महत्वपूर्ण है. maithili book for class 10


कक्षा 10

मैथिली [गद्ध खंड]

Chapter – 8 क्रेक


Class 10 Maithili VVI Question Chapter- 8 (क्रेक)

1. क्रैक गुंडा सँ मुक्ति पाबि कतय पहुँचल ? 

उत्तर- क्रैक गुंडा सँ मुक्ति पाबि बेता रोड पहुँचल | 

2. क्रैक की गबैत खूब रेस में टेम्पो चलबैत अछि ? 

उत्तर- क्रैक अरदर गबैब खूब रेस मे टेम्पो चलबैत अछि । 

3. क्रैक समदर्शी अछि- कोना ? 

उत्तर- क्रंक समाजक सभ आयुक लोकक संग-संग पुरुष-स्त्री सभ केँ सर कहैत अछि । तैं क्रैक के समदर्शी कहल गेल अछि । 

4. क्रैक बेसीकाल कोन भाषा बाजैए ? 

उत्तर- क्रैक बेसीकाल मैथिली बाजैछ । 

5. टेम्पो चालक क्रैक नाम सँ जानल जाइत छथिकिएक। 

उत्तर— टेम्पोचालक सभ केँ हँसबैत रहैछ ओ कोनो अनजान बूढ़ा – बूढ़ी कँ रोकि प्रणाम कए लैत अछि । टेम्पो ड्राइभर सभकेँ उकठ कए दैत अछि । लोक ओकरा साफे बताह, कहै छै । एतवय नहि क्रियाकलाप देखि क्रैक नाम राखि देलक अछि । 

Class 10 Maithili
Class 10 Maithili Subjective Questions

6. टेम्पो चालकक की नाम अछि ? 

उत्तर— टेम्पो चालकक नाम क्रैक अछि। 

Maithili class 10 Subjective Question Answers

7. पठित पाठक आधार पर क्रैक अपन दायित्व आ कर्त्तव्यक पालन कीना कयल ? 

उत्तर—क्रैक ओहि लफंगा युवक केँ देखि अत्यन्त क्रोधित भए जाइछ। ओ युवक ओहि सुन्दरीक शीलहरण करए चाहैत छल। परञ्च म्युजियम लग दसटा लोक केँ देखि क्रैक टेम्पो रोकि दैत छैक आ कहैछ जे तोँ टेम्पो सँ उतरैत छे आकि लोक कँ  बजबियैक। दसटा लोक केँ देखि ओ लफंगा टेम्पो सँ उतरि चलि जाइछ। एहि तरहे  क्रैक अपन दायित्त्व आ कर्त्तव्यक पालन कएल । 

8. टेम्पो पर सवार महिलाक सौन्दर्यवक वर्णन करू | 

उत्तर- टेम्पो पर सवार महिला पूर्णतः यौवना छलीह । हुनक वएस बीस-पच्चीस वर्षक छलनि। वर्ण गहुमियाँ गोराइ रहनि । मुँहक काट-छाँट सुरेबगर । सोंटल पोछल- पाछल बाँहि, बान्हल हाड़-काट, चमचमाइत चकाचक चेहरा । सिन्दूरक आभा सौन्दर्यक महिमा- गरिमा के शिखर पर पहुँचबैत। बुझाइत छल जे कृष्णक राधा छितितल लावनि सार यैह तँ ने छल हॅतीह ? 

9. क्रैक कथाक सारांश लिखू। 

उत्तर- क्रैक एकटा टेम्पो चालक अछि। ओ हँसोड़ स्वभावक अछि । अपनो हँसैत आनन्दमग्न रहेछ आ अपन गाहक सवारी केँ सेहो हँसबैत रहैछ । सवारी बढ़ होइ, नेना होइ, मौगी होइक, पुरुष होइ, सभ केँ ओ ‘सर’ कहि संबोधित करैत अछि। तेज गति मे टेम्पो हँकैछ । बूढ़-पुरान के प्रणाम् सेहो कए लैछ एक दिन लेखक क्रैकक टेम्पो सँ जा रहल छलाह । किछु दूर गेला पर रस्ता मे एकटा सुन्दरि नारी टेम्पो मे चढ़लि । आगू जा एकटा लफंगा युवक सेहो चढ़ल । ओ युवक ओहि सुन्दरीक बगल मे बैसि गेल । युवती दिस अधलाह दृष्टि सँ देखए लागल क्रैक के खराब लगलैक। ओ युवकक प्रतिरोध कएलक । लेखको संग देलथिन मुदा लफंगा नहि सुनलक। युवक अरि गेल । तावे म्यूजियम लग दसटा लोक कें देखि क्रैक के बल भेटलैक। ओ कहलक जे तो उतरैत छे कि सोर करियै आदमी कें । एतबा सुनैत लफंगा युवक धमकबैत टेम्पो सँ उतरि गेल । एहि तरहे ओ अपन सवारीक रक्षा कएलक । Class 10 Maithili VVI Question

10. क्रैकक चरित्र चित्रण करू ।  

उत्तर – क्रैक टेम्पू चलबैत अछि, टेम्पूक चालक अछि। ओ मृदुभाषी थिक, व्यवहारिक अछि, समदर्शी अछि, अपन टेम्पू मे बैसनिहारक सुरक्षाक जिम्मा अपना ऊपर लैछ । आम पसिन्जर संग ओकर व्यवहार देखि लगैए जेना ओकरा हृदय में कतौ खोच – खाँच नहि छै । अपना सभ जकाँ बहत्तरि हाथक अंतरी नै छै । छै मे छै की तँ हरदम बत्तीसी बेपर्द रहैत छै । दुनू ठोर दुनू कात कोसी नहरिक बान्ह जकाँ हँसीक धारा कें समेटने टेम्पू चलबैत गर्दभ स्वर मे जैह फुरा गेलै सैह गबैत मस्ती मे चलैत रहैए । जहाँ पसिन्जर देखलक, रुकल-आउ ‘शर’, आउ ‘शर’! कहि कए गाड़ी पर चढ़ा लेलक, विदा भए गेल । एकटा आर खूबी छैक ओकरा मे। ओ समदर्शी जकाँ मौगी – पुरुष मे भेद नहि करैए, सभ केँ ‘शरे’ कहैए। पढ़ल – लिखल, मूर्ख, देहाती – शहरी, नेता -प्रणेता, नेन सँ बूढ़ सभ केँ ‘शरे’ कहैए आउ ‘शर’ कतए जेबै? बेसी काल ओ एकछाहा मैथिली बजैए आ गीतो बेसी मैथिलीएक गबैत रहैए । ओकरा मे एकटा आओर विशेषता छै जे सवारीक मोटा-चोटा, बोरिया, ब्रीफकेश आकि कोनो भारी समान अपने सँ उठा कए रखैए टेम्पू पर आ उतरए काल मे उतारियो दैए, मुदा किराया तँ बेसी ककरो सँ एकोटा पाइ नहि लैए । सेवाक मूल्य लए सकैत छल से नहि लैछ । Class 10 Maithili VVI Question

क्रैंक अर-दर गबैत खूब रेस मे टेम्पू चलबैत रहैए। अगल-बगल मे जाइत बूढ़ा होथि कि बूढ़ी, एकाएक रोकि बाबा परणाम….. दाइ परणाम तेहेन पोज मे कहि चलि दैए जे बिना हँसने नहि रहल जाएत । 

अपन टेम्पू मे बैसल एकटा युवतीक संग लफुआ-गुण्डा द्वारा कएल गेल अधलाह व्यवहार क्रैक केँ सहन नहि होइत छैक । ओ ओहि गुण्डा के टेम्पू सँ उतारि दैत अछि। 

एहि तरहे क्रैक मे समग्र मानवीय गुण व्याप्त अछि ।


S.N Non-Hindi ( अहिन्दी ) Class 10 Online Test
1.   Non-Hindi ( अहिन्दी ) Online Test Set – 1
2.   Non-Hindi ( अहिन्दी ) Online Test Set – 2
3.   Non-Hindi ( अहिन्दी ) Online Test Set – 3
4.   Non-Hindi ( अहिन्दी ) Online Test Set – 4
5.   Non-Hindi ( अहिन्दी ) Online Test Set – 5
6.   Non-Hindi ( अहिन्दी ) Online Test Set – 6
7.   Non-Hindi ( अहिन्दी ) Online Test Set – 7
8.   Non-Hindi ( अहिन्दी ) Online Test Set – 8
9.   Non-Hindi ( अहिन्दी ) Online Test Set – 9
10.   Non-Hindi ( अहिन्दी ) Online Test Set – 10

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *