maithili class 10th
Class 10 Maithili-मैथिलि-Objective Matric [कक्षा-10]

Maithili Book for Class 10 Pdf Download: गद्ध खण्ड Chapter 9

Maithili Book for Class 10 Pdf Download: गद्ध खण्ड Chapter 8 “भारतीय स्वतंत्रता – संग्राम एवं संविधानक रूपरेखा” के महत्वपूर्ण सब्जेक्टिव प्रश्न को देखने वाले है, जो आपके Matric Board Exam के लिए महत्वपूर्ण होगा l Maithili Class 10th Chapter 9, Maithili class 10th chapter 9 question answer, Maithili class 10th chapter 9 mcq, Maithili class 10th chapter 9 mcq with answers pdf, Maithili class 10th mcq online test


मैथिली गद्ध खण्ड Chapter 8

भारतीय स्वतंत्रता – संग्राम एवं संविधानक रूपरेखा


जाने इस पोस्ट में क्या क्या है ?

Maithili Book for Class 10 Pdf Download

1. कोन सैनिक मेरठक सैनिक छावनी मे विद्रोह कयने छलाह ? 

उत्तर- मंगल पांडे मेरठक सैनिक छावनी मे विद्रोह कयने छलाह । 

2. भारत छोड़ो आंदोलन कहिया भेल ? 

उत्तर- भारत छोड़ो आन्दोलन 1942 ई० मे भेल । 

3. भारतीय संविधान मे कतेक अनुच्छेद अछि ? 

उत्तर- भारतीय संविधान में 365 अनुच्छेद अछि । 

4. अंग्रेज सरकारक 1505 ई० मे बंगाल विभाजनक निर्णय मे कोन कारण प्रेरित कयने छल ? 

उत्तर- 1505 ई० क बंगाल विभाजनक निर्णय मे राजनीतिक कारण प्रेरित कयने छल। 

5. भारतीय कांग्रेसक स्थापना कहिया भेल ?

उत्तर- 1885 ई० मे भारतीय कांग्रेसक स्थापना भेल। 

6. भारत कहिया स्वतंत्र भेल ?

उत्तर- भारत 15 अगस्त, 1947 ई० मे स्वतंत्र भेल । 

7. संविधान सभा मे प्रारूप समितिक अध्यक्ष के छलाह ? 

उत्तर— डॉ० भीमराव अम्बेदकर संविधान सभा मे प्रारूप समितिक अध्यक्ष छलाह । 

8. भारतक संविधान लिखित अछि की अलिखित ? 

उत्तर— भारतक संविधान लिखित अछि। 

Class 10 Maithili Subjective

Maithili Class 10 Subjective Question Answers

9. भारत छोड़ो आंदोलनक वर्णन करू । 

उत्तर- द्वितीय विश्वयुद्धक संग भारतीय स्वतंत्रता संग्रामक गति मे तीव्रता आबि गेल। 1942 ई० मे ‘अंग्रेज, भारत छोड़’ क नारा देल गेल । एहि मे अनेको निर्दोष जनता मारल गेल । अन्ततः अंग्रेज कें भारत छोड़ए पड़लैक। 15 अगस्त, 1947 ई० कें भारतवर्ष अंग्रेजक गुलामी सँ मुक्त भेल। 

10. गरम दल आ नरम दलक की तात्पर्य अछि ? 

उत्तर – बंगाल विभाजनक बाद भारतीय राष्ट्रीय कांग्रेस मे दू विचारधाराक संघर्ष शुरू भेल । किछु लोक नरमपंथी छलाह तँ किछु गरमपंथी । गरमपंथी लोकनि व्यापक जनान्दोलनक पक्षधार छलाह। राजनीतिक स्वतंत्रताक प्राप्ति हुनक लक्ष्य छलनि आ एहि लेल बहिष्कार आंदोलन के ओ. सभ असहयोग आंदोलन में परिणत करए चाहैत छलाह । किन्तु, नरमपंथी एहि पक्ष मे नहि छलाह । अन्य अनेक बिन्दु पर सेहो मतभेद छल । यैह कारण छल जे 1907 मे सूरत अधिवेशन मे कांग्रेसक विभाजन भय गेल । रामप्रसाद विस्मिल, अशफाक उल्ला खाँ, शिव वर्मा, जयदेव कपूर, भगत सिंह, सुखदेव, वटुकेश्वर दत्त, चन्द्रशेखर आजाद प्रभृत स्वतंत्रता सेनानी लोकनि क्रांतिकारी कार्यकलाप मे विश्वास रखैत छलाह । गाँधीजीक नेतृत्ववला कांग्रेस नरम दल कहाओल। 

11. भारतीय स्वतंत्रता संग्राम पर एक छोट निबंध लिखूं। 

उत्तर- स्वतंत्रता मानव जातिक जन्मसिद्ध अधिकार थिक । एकरा प्राप्त करबा लेल एवं सदा सुरक्षित ओ निरापद रखबाक लेल महान् बलिदान आ त्यागक आवश्यकता होइछ । जे राष्ट्र एहि प्रकारक बलिदान ओ त्याग कए सकल सैह स्वतंत्रता प्राप्त कर सकल अछि आ अपन स्वतंत्र जीवन बिता रहल अछि । 

कालक गति में भारत अतीत काल मे अपन अनेक दुर्बलताक कारणे अपन स्वतंत्रता गमा बैसल । किन्तु ताही संग विदेशी सत्ता के उखाड़ कर फेक देबाक सेहो निरंतर संघर्ष चलैत रहल । मुदा ओ संघर्ष संघटित जनसंघर्ष नहि बनि सकल | 

सामूहिक जनसंघर्षक रूप मे विद्रोहक पहिल ज्वालामुखीक विस्फोट भेल छल 1857 ई० मे । एकरा सिपाही विद्रोह कहल जाइछ मुदा ई छल भारतीय स्वतंत्रता संग्रामक अदम्ब इच्छाशक्तिक अभिव्यक्ति। एक मई, 1857 में मेरठ सैनिक छावनी मे अंग्रेज सभक विरुद्ध एक सैनिक मंगल पाण्डे द्वारा दागल गेल बन्दूकक अबाज दिल्ली सँ कोलकाता धरिक ईस्ट इंडिया कम्पनीक सैनिक छावनी केँ दलमलित कए देलक । सर्वत्र भारतीय सैनिक अंग्रेजक विरुद्ध स्वतंत्रताक बिगुल बजा देल । मेरठक एहि सिपाही विद्रोहक चिनगी दिल्ली पहुँचल | बहादुरशाह द्वितीय अपना कें हिन्दुस्तानक सम्राट घोषित कर देलक । सिपाही सबहक मनोबल बढ़लैक । अन्ततः ओ सब दिल्ली . पर अधिकार कए लेलक । 

1857 के विद्रोह भने असफल भए गेल हो, मुदा संपूर्ण देश मे राजनीतिक चेतना जगएबा मे ओ सफल रहल। 

1905 में बंगाल विभाजनक परिणाम मे देश में विरोधक लहरि पसरि गेलैक। 1906 ई० मे कांग्रेसक कोलकाता अधिवेशनक अध्यक्षीय भाषण में दादाभाई नौरोजी स्पष्ट कहने रहथि जे कांग्रेसक उद्देश्य छैक अपन सरकार गठित करब । स्वतंत्रता आंदोलन मे गाँधीजीक पदार्पण होएब परिवर्तनकारी सिद्ध भेल । चम्पारण आंदोलनक बाद 1920 मे असहयोग आंदोलन के बल भेटलैक । दोसर दिस गरम दलक क्रांतिकारी कार्यकलाप स्वतंत्रता संग्राम कें बल देलकैक । द्वितीय विश्वयुद्धक संग भारत 1942 मे अंग्रेज भारत छोड़क नारा देल । अन्ततः 15 अगस्त, 1947 केँ अंग्रेज कें भारत छोड़क लेल बाध्य होमए पड़लैक। 

12. भारतीय संविधानक विशेषताक वर्णन संक्षेप मे करू । 

उत्तर- भारतीय संविधान लिखित आ सर्वाधिक व्यापक संविधान अछि। ई वयस्क मताधिकार एवं एकल नागरिकतायुक्त लोकप्रिय प्रभुसत्ताक सिद्धांत पर आधारित एक सम्पूर्ण प्रभुत्व सम्पन्न लोकतांत्रिक समाजवादी धर्मनिरपेक्ष गणराज्यक स्थापना करैछ । एहि मे अल्पसंख्यक तथा पिछड़ल वर्ग सहित सभक लेल मौलिक अधिकार आ सामाजिक समानताक सिद्धान्तक आधार पर एक कल्याणकारी राज्यक स्थापनाक आदर्श प्रस्तुत कएल गेल अछि। भारतीय संविधानक मुख्य विशेषता अछि- सामाजिक न्याय, मौलिक अधिकार एवं धर्मनिरपेक्षताक सिद्धान्त। संविधानक प्रस्तावना मे मात्र सामाजिक न्याय नहि अपितु आर्थिक आ राजनीतिक न्यायक बात सेहो कहल गेल अछि। सामाजिक न्याय सँ अभिप्रेत छल जे मनुष्य – मनुष्य मे जाति, वर्ण आ आन कोनो आधार पर भेद नहि कएल जाए। आर्थिक न्याय सँ अभिप्रेत छल उत्पादनक न्यायोचित विभाजन आ राजनीतिक न्याय सँ तात्पर्य छल सब नागरिक कें समान नागरिक एवं राजनीतिक अधिकारक प्राप्ति । 

प्रस्तावना मे जाहि दोसर बात पर बल देल गेल से छल नागरिकक विभिन्न प्रकारक स्वतंत्रता । एकरा नागरिकक मौलिक अधिकार कहल गेल। प्रारंभ मे मौलिक अधिकारक संख्या सात छल परञ्च सम्पत्तिक अधिकार कें सूची सँ हटा देल गेल । ते सम्प्रति छओटा मौलिक अधिकार शेष रहि गेल अछि। 42 म संविधान संशोधन द्वारा दसटा मौलिक कर्त्तव्य सेहो संविधान मे जोड़ल गेल। एकर अतिरिक्त विश्वक विभिन्न देशक संविधान में निहित नीक-नीक तथ्य के भारतीय संविधान में समाहित कएल गेल अछि।


class 10 maithili, class 10th maithili book pdf, class 10 maithili notes, maithili class 10 subjective question answers, maithili class 10th chapter 9, maithili class 10


S.N 10TH SCIENCE SUBJECTIVE QUESTIONS
PHYSICS (भौतिकी)
1. प्रकाश का परावर्तन तथा अपवर्तन 
2.  मानव नेत्र
3. विधुत धारा 
4.  विधुत धारा का चुम्बकीय प्रभाव 
5.  उर्जा के श्रोत 
CHEMISTRY (रसायन विज्ञान)
6. रासायनिक अभिक्रियाएँ एवं समीकरण 
7. अम्ल, भस्म और लवण
8. धातु और अधातु 
9. कार्बन एवं उसके यौगिक 
10. तत्वों का आवर्त वर्गीकरण
BIOLOGY (जीवविज्ञान)
11. जैव प्रक्रम : पोषण 
12.  नियंत्रण एवं समन्वय 
13. जनन 
14. अनुवांशिकता एवं जैव विकाश 
15. हमारा पर्यावरण 
16. प्राकृतिक संसाधन का प्रवंधन 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *