maithili class 10th
Class 10 Maithili-मैथिलि-Objective Matric [कक्षा-10]

Maithili Class 10 : मैथीली गद्ध खण्ड पाठ 7 सब्जेक्टिव प्रश्न

Maithili Class 10 : इस लेख में मैथीली गद्ध खण्ड पाठ 7 सब्जेक्टिव प्रश्न को अपने भाषा में देखने वाले है. maithili class 10 subjective notes, maithili class 10 subjective question answers, maithili book for class 10


मैथीली गद्ध खण्ड पाठ 7 सब्जेक्टिव प्रश्न

भारतीय संविधानक निर्माता डॉ० बी० आर० अंबेदकर


Maithili Class 10

1. भीमराव अम्बेदकर लंदन सँ कहिया घूमि भारत अयलाह ? 

उत्तर- भीमराव अम्बेदकर लंदन सँ 1914 ई० भारत घूमि अयलाह । 

2. डॉ० अम्बेदकर संविधान प्रारूप कमेटीक चेयरमैन कहिया नियुक्त कयल गेलाह ? 

उत्तर- डॉ० भीमराव अम्बेदकर संविधान प्रारूप कमेटीक चेयरमैन 29 अगस्त, 1947 ई० मे बनलाह । 

3. भीमराव अम्बेदकर कें पी० एच० डी० क उपाधि कहिया भेटलनि ? 

उत्तर- भीमराव अम्बेदकर पी०एच० डी० क उपाधि 1916 ई० मे भेटलनि । 

4. संयुक्त राष्ट्र अमेरिका मे उच्च शिक्षा अध्ययन हेतु के अम्बेदकर कें छात्रवृत्तिक व्यवस्था कयने छल ? 

उत्तर— अम्बेदकर कें संयुक्त राष्ट्र अमेरिका मे उच्च शिक्षा प्राप्त करबाक हेतु बड़ौदा क गायकवाड़ शासक सहयाजी राव तृतीय छात्रवृत्तिक प्रबंध कयने छलथिन । 

Maithili Class 10

Maithili Book for Class 10 Pdf Download

5. भारतक संविधान निर्माण मे हिनक भूमिकाक वर्णन करू । 

उत्तर- 15 अगस्त, 1947 ई० केँ जखन भारत स्वतंत्र भेल तँ डॉ० अम्बेदकर कांग्रेसनीत सरकार मे प्रथम कानून मंत्रीक कार्यभार ग्रहण कएलनि। 29 अगस्त केँ डॉ. अम्बेदकर भारतीय संविधान प्रारूप कमिटीक चेयरमैन नियुक्त भेलाह। हुनका ई भार देल गेलनि जे ओ स्वतंत्र भारतक नव संविधान लिखथि। भारतीय संविधानक प्रारूप तैयार करए मे हुनका अपन सहयोगी आ समकालीन पर्यवेक्षक सभक प्रशंसा प्राप्त भेलनि। संविधान सभा मे 26 नवम्बर, 1949 कँ संविधानक स्वीकृति भेटि गेलैक। Maithili Class 10

6. बौद्ध धर्मक प्रति हिनक आस्था केहन छल? ओकर प्रभाव हिनका पर केहन पड़ल ? 

उत्तर- डॉ० भीमराव अम्बेदकर अस्पृश्य समुदाय लेल ‘हरिजन’ नाम पर विरोध प्रकट कएलनि। चमत्कारिक व्यक्तित्त्ववला बाबा साहेब सामाजिक रूढ़िवादिताक विरोध मे दलित बौद्ध आंदोलनक शुरूआत कएलनि। एहि क्रम मे 1950 ई० ओ श्रीलंका (तत्कालीन सिलौन) में आयोजित बौद्ध विद्वान् एवं संत सभक सम्मेलन मे सम्मिलित भेलाह। बौद्ध धर्म में परिवर्तनक एकटा योजना बनौलनि, तकरा लेल ओ 1954 ई० मे दू खेप वर्मा गेलाह। रंगून मे आयोजित तृतीय विश्व फेलोशिप बौद्ध सम्मेलन में भाग लेलनि। 1955 ई० में भारतीय बौद्ध महासभाक गठन कएलनि, जकरा ओ 14 अक्टूबर, 1956 में भारतीय बौद्ध सोसाइटी मे परिवर्तित कएलनि । तत्कालीन समाज मे व्याप्त अस्पृश्यता एवं सामाजिक भेदभावक विरोध मे जनजागरण करबा मे हुनक महत्त्वपूर्ण भूमिका रहलनि । बौद्ध धर्म मे हुनक तेहन आस्था एवं प्रभाव छल जे हुनक दाह-संस्कार सेहो बौद्ध रीति-रिवाह सँ सम्पन्न भेलनि । 

7. डॉ० अम्बेदकरक प्रतिभाक संबंध मे अपन विचार व्यक्त करू। 

उत्तर- डॉ० भीमराव अम्बेदकरक प्रतिभा अद्भुत छल। ओ लगनशील एवं संघर्षरत युवक छलाह। भीमरावक जन्म हिन्दू महार जाति मे भेल रहनि । ई जाति अस्पृश्य बूझल जाइत छल । ओहि समय में अस्पृश्यताक प्रचलन अधिक छल । मुदा भीमराव सबकिछु धैर्यक संग सहन कएल। ओ मुम्बईक एलीफिंस्टन रोडक समीप सरकारी विद्यालय मे पहिल अस्पृश्य विद्यार्थी रहथि। 1907 ई० मे मुम्बई विश्वविद्यालय सँ मैट्रिक परीक्षा उत्तीर्ण कएल। ओ प्रथम अस्पृश्य युवक छलाह जे भारतक कओलेज में दाखिल भेलाह। 1908 ई० मे एलफिंस्टन कओलेज मे नाम लिखओलनि आ हुनका बड़ौदाक गायकवाड शासक सँ पच्चीस टाकाक छात्रवृत्ति प्रतिमाह भेट लगलनि । एतबे नहि, बड़ौदाक गायकवाड शासक, सहयाजी राव तृतीय हुनका यू० एस० ए० मे उच्च शिक्षा में अध्ययन करबाक लेल छात्रवृत्तिक व्यवस्था सेहो कए देलखिन । प्रतिभावान अम्बेदकर 1912 ई० मे अर्थशास्त्र आ राजनीति में डिग्री हासिल कएलनि। गायकवाड शासक प्रतिमाह साढ़े एगारह डालरक छात्रवृत्ति अमेरिकाक कोलंबिया विश्वविद्यालय में पढ़बाक लेल मंजूरी देलनि । न्यूयार्क सिटी (अमेरिका) में पहुँचला पर ओ राजनीति विज्ञान विभाग मे स्नातक अध्ययन कार्यक्रम मे दाखिला लेलनि। 1916 ई० मे हुनका पी० एच० डीक उपाधि भेटलनि । ‘डाक्टेरेट’ डिग्री प्राप्त भेलाक उपरान्त, भीमराव लंदन चलि गेलाह आ ओ लंदन स्कूल ऑफ इकोनोमिक्स मे लॉ पढ़ए लगलाह एवं अर्थशास्त्र विषय मे डॉक्टेरेट हेतु तैयारी करए लगलाह ।

लंदन सँ घुरला पर ओ बड़ौदा स्टेट मे सैनिक सचिवक पद पर कार्य करए लगलाह । मुदा ओतए मन नहि लगलनि। पछाति ट्यूशन कएलनि, लेखा कार्य आरंभ कएल, व्यावसायिक परामर्शक काज कएलनि। जीवनक एहि उत्थान-पतन मे, मुम्बईक पूर्व गवर्नर लार्ड सिडेहमक मदति सँ अम्बेदकर मुम्बईक सिडेहम कॉलेज ऑफ कामर्स एण्ड इकोनोमिक्स मे राजनीतिक शास्त्रक प्रोफेसरक पद प्राप्त करबा मे कामयाब भेलाह। 1920 ई० मे कोल्हापुर महाराजा आ अपन बचत सँ ओ पुन: इग्लैंड गेलाह। 1923 ई० में भीमराव ‘टाकाक समस्या’ (द प्रोबलेम ऑफ द रूपी) शोध- निबंध पर लंदन विश्वविद्यालय सँ डी एस सीक उपाधि प्राप्त कएलनि। लंदन सँ घुरबाक क्रम मे ओ जर्मनी मे तीन मास बितओलनि आ बॉन मे विश्वविद्यालय मे अर्थशास्त्र विषयक विशेष अध्ययन कएलनि। 8 जून, 1927 ई० केँ हुनका कोलंबिया विश्वविद्यालय सँ पी०एच०डीक उपाधि सेहो प्राप्त भेलनि। डॉ० अम्बेदकर 1935 ई० मे गवर्नमेंट लॉ कओलेज मे प्रिंसिपल नियुक्त भेलाह। पछाति 1936 ई० मे इंडिपेंडेंट लेबर पार्टीक स्थापना कए राजनीतिक मैदान में कूदला । ओतहु अपन प्रतिभाक बल पर पूर्ण सफल रहलाह। संविधान निर्माताक रूप मे यशस्वी भेलाह। 

उपर्युक्त विवरण सँ स्पष्ट अछि जे भीमराव अम्बेदकरक प्रतिभा विशिष्ट छल । साधारण प्रतिभायुक्त व्यक्ति सँ एतेक काज संभव नहि अछि । 

8. डॉ० भीमराव अंबेदकरक जीवनी संक्षेपमे लिखू ।

उत्तर- डॉ० भीमराव अंबेदकर पहिल अस्पृश्य युवक छलाह जे पढ़-लिखि, उच्च शिक्षा ग्रहण कए राष्ट्रक कानून मंत्री बनलाह, संविधानक निर्माण मे अपन अपूर्व योगदान देल । अंबेदकरक जन्म अस्पृश्य बूझल जाइत ‘महार’ जाति मे 14 अप्रैल, 1891 ई० मे भेलनि। हुनक पिता रामजी सकपाल आ माए भीमाबाई छलथिन । हुनक पिता भारतीय सेनाक मोहवा मे सुबेदारक पद धरि कार्यरत रहलाह। अंबेदकर मुम्बई विश्वविद्यालय सँ मैट्रिकक परीक्षा उत्तीर्ण भेलाह। ओ पहिल अस्पृश्य युवक रहथि जे भारतक कओलेज में दाखिल भेलाह। 1908 ई० मे ओ कओलेज मे नाम लिखओलनि। 1912 ई० मे भीमराव अंबेदकर अर्थशास्त्र आ राजनीति में डिग्री हासिल कएलनि। 1916 ई० मे हुनका पी० एच० डी० केर उपाधि भेटलनि । 

अम्बेदकर 1936 ई० मे इंडिपेंडेंट लेबर पार्टीक स्थापना कएलनि। ई पार्टी 1937 क सेंट्रल लेजीसलेटिव एसेम्बलीक चुनाव में पंद्रह सीट पर कब्जा जमौलक । ओही बरख ओ जातिक समाप्ति ( एनीहिलेशन ऑफ कास्ट) नामक पुस्तकक प्रकाशन करौलनि । ओ अपन पुस्तक मे हिन्दू धार्मिक नेताक आ जातिप्रथाक कटु आलोचना कएलनि। अम्बेदकर अस्पृश्य समुदाय लेल ‘हरिजन’ नाम पर विरोध प्रकट कएलनि। 

15 अगस्त, 1947 ई० कें जखन भारत स्वतंत्र भेल तँ डॉ० अंबेदकर कांग्रेसनीत सरकारक प्रथम कानून मंत्रीक कार्यभार ग्रहण कएलनि। 29 अगस्त केँ ओ भारतक संविधान प्रारूप समितिक अध्यक्ष नियुक्त भेलाह। हुनका द्वारा तैयार कएल गेल संविधान, संविधान सभा में 26 नवम्बर, 1949 के स्वीकृत कएल गेल ।  Maithili Class 10

मधुमेह सँ पीड़ित अंबेदकर 6 दिसंबर, 1956 ई० कैं एहि असार संसार सँ विदा भए गेलाह।


इन्हें भी पढ़े :- 

S.N SOCIAL SCIENCE (सामाजिक विज्ञान)
HISTORY (इतिहास)
1. यूरोप में राष्ट्रवाद 
2. समाजवाद एवं साम्यवाद 
3. हिन्द चीन में राष्ट्रवादी आन्दोलन 
4. भारत में राष्ट्रवाद 
5. अर्थव्यवस्था और आजीविका 
6. शहरीकरण एवं शहरी जीवन 
7. व्यपार और भूमंडलीकरण 
8. प्रेस संस्कृति एवं राष्ट्रवाद 
GEOGRAPHY (भूगोल)
9. भारत : संसाधन एवं उपयोग 
10. कृषि 
11. निर्माण उद्योग 
12. परिवहन, संचार एवं व्यपार 
13. बिहार : कृषि एवं वन संसाधन 
14. मानचित्र अध्ययन 
POLITICAL SCIENCE (लोकतान्त्रिक राजनितिक )
15. लोकतंत्र में सत्ता की साझेदारी 
16. सत्ता में साझेदारी की कार्यप्रणाली 
17. लोकतंत्र में सत्ता परिवर्तन के लिए प्रतिस्पर्धा और संघर्ष 
18. लोकतंत्र की उपलब्धिया 
19. लोकतंत्र की चुनौतियां 
ECONOMICS (हमारी अर्थव्यवस्था )
20. अर्थव्यवस्था एवं इसके विकाश का इतिहास 
21. राज्य एवं राष्ट्र की आय 
22. मुद्रा , बचत एवं साख 
23. हमारी वित्तीय संस्थाए 
24. रोजगार और सेवाएँ 
25. वैश्वीकरण 
26. उपभोक्ता जागरण एवं संरक्षण 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *