Maithili Subjective Suestions
Class 10 Maithili-मैथिलि-Objective Class 10 संस्कृत सब्जेक्टिव

गद्ध खण्ड 

1. मिथिलाक सांस्कृतिक सीमा

Class 10 Maithili Subjective Question, Class 10th Maithili objective



1. मिथिलाक सीमाक संग नदीक वर्णन करू। 

उत्तर—मिथिलाक सीमा एवं नदीक चित्रण करैत चन्दा झा लिखने छथि । गंगा बहथिजनिक दक्षिण दिश पूर्व कौशिकी धारा । पश्चिम बहथि गण्डकी उत्तर हिमवतवल विस्तारा । कमला, त्रियुगा, अमृता, घेमुड़ा, बागमती कृतसारा । मध्य बहथि लक्ष्मणा प्रभृति से मिथिला विधागारा। 

अर्थात् मिथिलाक उत्तर मे गंगा, दक्षिण में हिमालय, पूरब मे कोशी एवं पश्चिम मे गण्डकी बहैत छथि । एहि ठाम बहयवाली प्रमुख नदी अछि- कमला त्रियुगा, अमृता, घेमुड़ा, बागमती, लक्ष्मणा आदि नदी सभ बीच मे बहैत अछि । एहि मध्यक भूभाग विद्याक आगार कहल जाइछ।


2. ग्रियर्सनक अनुसार मिथिलाक पूर्वी सीमा कतय धरि अछि ? 

उत्तर— ग्रियर्सनक अनुसार मिथिलाक पूर्वी सीमा दिनाजपुरक पश्चिमी भाग धरि अछि ।





3. चन्दाझाक अनुसार मिथिलाक चौहद्दी लिखू । 

उत्तर- चन्दा झाक अनुसार उत्तर में हिमालय, दक्षिण में गंगा, पश्चिम गंडक आ पूर्व मे कोसी नदी अछि । Class 10 Maithili Subjective Question


4. वृहद् विष्णुपुराणक अनुसार मिथिलाक लम्बाई चौड़ाई लिखू । 

उत्तर- वृहद् विष्णुपुराणक अनुसार मिथिलाक लम्बाइ 96 कोस आ चौड़ाई 64 क्रोस अछि।


5. मिथिला के बसौने छलाह ? 

उत्तर- मिथिला के मिथि बसौने छलाह ।


6. जैन धर्मक प्रवर्त्तक के छलाह ? 

उत्तर— जैनधर्मक प्रवर्तक भगवान महावीर छलाह ।


7. मिथिलाक पश्चिम मे कोन नदी अछि ? 

उत्तर— गंडकी नदी मिथिलाक पश्चिम मे अछि।


8. आईने अकबरीक रचयिता के छलाह ? 

उत्तर— अबुल फजल आईने अकबरीक रचयिता छलाह ।


9. मिथि के छलाह ? 

उत्तर- राजर्षि निमिक पुत्र मिथि छलाह ।





10. रामलोचनशरणक अनुसार मिथिलाक संस्कृति ओकर पश्चिम भाग मे कोन कारण सँ लुप्तप्राय भए गेल ? 

उत्तर – ई सर्वमान्य अछि जे मिथिलाक संस्कृति वेद-पुराण सम्मत छल । मिथिलहि मे विदेह एवं लिच्छवीक दुई राज्य छल-पूब में विदेहक ओ पश्चिम मे लिच्छवीक। ई दुनू राज्य गणतंत्र रहय । लिच्छवीक राजधानी वैशाली छल । वैशाली रामायण-कालहु मे अत्यन्त प्रसिद्ध एवं खूब सम्पन्न नगरी छल । आइ काल्हि ओहि स्थान में मुजफ्फरपुर जिलाक ‘बसाढ’ अछि। एहि वैशाली मे जैनक तीर्थङकर महावीर स्वामी उत्पन्न भेल छलाह। भगवान बुद्धो एहिठाम प्रचार कार्य कयलन्हि । ओ वैशाली सँ कुशीनगर जाइत काल अपन महिमा सँ ‘बाया’ नामक नदी प्रगट कयलनि। बौद्ध लोकनिक प्रथम महती सभा वैशालिअहि मे भेल छल । गण्डक सँ पूब ‘लौरिया’ मे अशोकक लाट (स्तम्भ) आइयो विद्यमान अछि। एहि सँ नीक जकाँ बुझबा मे अबैत अछि जे बौद्ध एवं जैन धर्म मिथिलाक पश्चिम भाग मे प्रबल भय रहल छल। कहबाक प्रयोजन नहि जेई दुह धर्म ब्राह्मणधर्मक विरुद्ध अवैदिक छल । वैदिक संस्कृति सँ एहि दुनू धर्मक संस्कृतियो अवश्ये भिन्न छल । एहि सँ स्पष्ट होइत अछि जे रामलोचन शरणक विचार बौद्ध एवं जैन संस्कृतिक कारण मिथिलाक संस्कृति ओकर पश्चिम भाग में लुप्तप्राय भय गेल । Class 10 Maithili Subjective Question


11. मिथिलाक सांस्कृतिक सीमा शीर्षक निबन्ध मे रामलोचनशरण मिथिलाक पूब दिशक विषय में की सभ कहने छथि ? 

उत्तर- लेखक कथन पश्चिम दिशा मे समाप्त भेलाक बाद पूब दिशाक संबंध मे प्रारम्भ होइत अछि। ओ कहैत छथि जे आब पूब दिश आउ । कोशी – अहु सँ पूब पूर्णिया जिला कें पार करैत दिनाजपुर जिलाक पश्चिमीय भाग धरि इएह पंचांग चलैत अछि। एकरो कारण स्पष्टे अछि। बौद्धक संस्कृति ‘बाया’ (नदी) सँ बहराय कए बागमतीक आगू नहि बढि पौलका कारण मैथिल दार्शनिक लोकनि हुनक गतिक अवरुद्ध कए देलनि। एहि सँ बौद्ध संस्कृति दोसरहि बाट बंगाल में प्रविष्ट भेल अर्थात् पटना सँ बहराय कए गंगाक दक्षिण मुंगेर होइत देवघरक पश्चिम सँ मयूराक्षीक पश्चिम तट सँ बंगाल चल गेल अछि, गंगा सँ दक्षिण एवं कोशीक पूबक ओ क्षेत्र, जय मिथिलाक पंचांग प्रचलित अछि, मिथिलाक उपनिवेश थिक । एहि उपनिवेश मे सम्पूर्ण पूर्णिया जिला दिनाजपुरक किछु अंश एवं संथाल परगनाक बहुत पैघ भाग सम्मिलित भय जाइत अछि । एकर कारण आरो अछि । प्राचीनकाले सँ बंगाली छात्रक सम्पर्क मिथिला सँ रहल अछि। अतएव ओम्हर मिथिलाक संस्कृति बहुत आ धरि बढ़ि गेल अछि । एहि प्रकार सँ मिथिला पश्चिम सँ जतेक गमाय देलक अछि, पूब में ओतेक पाबियो लेलक अछि।





Class 10 Maithili Subjective Question, maithili class 10 subjective question answers, class 10th maithili book pdf, class 10 maithili notes, maithili book for class 10 pdf download, Class 10th Maithili objective, class 10th maithili book pdf

 

इसे भी पढ़े :-

1. शिवगीत 

2. समय – साल 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *