Maithili Subjective Suestions
Class 10 Maithili-मैथिलि-Objective Matric [कक्षा-10]

Class 10th Maithili Subjective : राष्ट्रभाषा ओ मातृभाषा [ गद्ध खण्ड, पाठ 2 ]

Maithili Class 10 Subjective Question Answers इस पोस्ट में Bihar Board Matric Exam के लिए Maithili Subjective Questions देखने वाले है. जो आपके Class 10 Exam के लिए महत्वपूर्ण है. यहाँ आपको Maithili class 10th Chapter 2 का सभी लघुउत्तरीय एवं दीर्घउत्तरीय प्रश्न का उत्तर अपने भाषा में मिलेगा.

Maithili Class 10 Subjective Question Answers

1. मैथिलीक भविष्य पर लेखकक विचार स्पष्ट करू । 

उत्तर—लेखकक विचारानुसार मैथिली हमरा लोकनिक मातृभाषा अछि । ई एकटा जीवन्त भाषा अछि जे सतत वर्धिष्णु अछि । मातृभाषा मैथिली मे शिक्षा प्रदान करब सरकारक पुनीत कर्त्तव्य अछि । त्रिभाषा सिद्धान्त मे सेहो कहलं गेल जे प्रत्येक राज्य अपना-अपना मातृभाषा मे अपन अपन खास सरकारी काज करौ । लेखकक विचार छनि जे निम्नवर्ग सँ किछु दूर ऊपर धरि शिक्षाक़ माध्यम विद्यार्थी वर्गक मातृभाषा हो । एहि दृष्टिएँ मैथिल विद्यार्थी मातृभाषा मैथिलीक माध्यमे शिक्षा ग्रहण करथि, से लेखकक विचार छनि । त्रिभाषा सिद्धान्त सँ उत्तम कोनो समाधान नहि भए सकैछ

2. त्रिभाषा सिद्धान्तक अर्थ स्पष्ट करू । 

उत्तर:- त्रिभाषा सिद्धान्तक अर्थ अछि मातृभाषा, राष्ट्रभाषा आ विश्व भाषाक अनिवार्यता एवं एहि तीनूक सामंजस्य वा क्षेत्र निर्णय । प्रत्येक राज्य अपना-अपना मातृभाषा में अपन अपन खास सरकारी काज वा शिक्षाक विकास करौ । परञ्च समस्त राष्ट्रक काज वा भिन्न-भिन्न राज्यक पारस्परिक काज एक राष्ट्रभाषा हिन्दीक द्वारा हो । तदर्थ शिक्षा-पद्धति में अंग्रेजीक स्थान हिन्दी के देल जाए। एकर अतिरिक्त अन्तर्राष्ट्रीय काजक हेतु अर्थात् संसारक भिन्न-भिन्न राष्ट्र सँ अबरजात वा संबंध -सरोकार रखबाक लेल अंग्रेजी वा आने कोनो व्यापक भाषा नवीन वा प्राचीन सेहो विद्यार्थी केँ अपना-अपना रुचि तथा आवश्यकताक अनुसार पढ़बाक सुविधा हो । 

त्रिभाषा सिद्धान्त इहो स्पष्ट कएने अछि जे निम्नवर्ग सँ किछु दूर ऊपर धरि शिक्षाक माध्यम विद्यार्थी वर्गक मातृभाषा हो यदि एहि मे किछु साहित्य पौल जाए आ साहित्यसर्जनाक शक्तियो वर्त्तमान रहैक ।

Maithili class 10th chapter 2 question answer

3. फ्राँसक मातृभाषा की अछि ? 

उत्तर- फ्राँसक मातृभाषा फ्रेंच अछि । 

4. जर्मनीक मातृभाषा की अछि ? 

उत्तर— जर्मनीक मातृभाषा जर्मन अछि । 

5. अंगरेज भारतक राजभाषा कोन भाषा कें बनौलनि ? 

उत्तर- अंगरेज अंग्रेजी केँ भारतक राजभाषा बनौलनि । 

6. अंगरेज भारतक शिक्षाक माध्यम की रखलनि ? 

उत्तर- अंगरेज भारतक शिक्षाक माध्यम अंगरेजी केँ राखलनि । 

7. तेलगू कोन राज्यक लोकक मातृभाषा थिक ? 

उत्तर:- तेलगू तमिलनाडुक लोकक मातृभाषा अछि । 

8. मलयालम कोन राज्यक लोकक मातृभाषा अछि ? 

उत्तर- मलयालम केरल राज्यक मातृभाषा अछि। 

9. कन्नड़ कोन राज्यक लोकक मातृभाषा अछि ? 

उत्तर- कन्नड़ कर्नाटक राज्यक लोकक मातृभाषा अछि। 

10. इंगलैंडक मातृभाषा की अछि ? 

उत्तर- इंगलैंडक मातृभाषा अंग्रेजी अछि । 

Class 10th Maithili Book Pdf

11. हिन्दीक समस्या पर लेखकक विचार स्पष्ट करू । 

उत्तर – लेखक विश्वक अन्यान्य देशक तुलना भारतवर्ष सँ कएने छथि। भारतक अनेक राज्य सब कैकटा राष्ट्रक समान अछि। ओहि छोट-छोट राष्ट्र मे मातृभाषा आ राष्ट्रभाषा मे कोनो भेद नहि होइत छैक। मुदा भारत देश विभिन्न राज्यक संघ अछि । विभिन्न राज्यक भिन्न भिन्न मातृभाषा अछि । लेखकक विचार छनि जे सम्पूर्ण भारतक एकटा एहन सर्वमान्य भाषा हेबाक चाही जाहि मे राज्य सब परस्पर काज कए सकए। लेखक कहैत छथि जे महात्मा गाँधी जखन राष्ट्रीय स्वतंत्रताक आंदोलन मे काश्मीर सँ कन्याकुमारी धरि आ अटक सँ कटक धरि प्रायः सब स्थानक भ्रमण करए लगलाह तँ स्पष्ट देखलनि जे हिन्दीए एकटा एहन भाषा अछि जकरा द्वारा ओ अपन विचारक प्रचार लोक मे अधिक ठाम कए सकै छलाह । 1947 ई० पर्यन्त भारतवर्ष पराधीन छल। अंग्रेज एकर अधिपति छलाह। ओ अपन अंग्रेजी भाषा के भारतक राजभाषा बनौलनि आ शिक्षोक माध्यम मुख्यतः अंग्रेजिए कें रखलनि । मुदा स्वतंत्रताक आंदोलनक क्रम मे नेता लोकनि सात समुद्र पारक एहि विदेशी भाषा कँ ने राजभाषा, ने राष्ट्रभाषा, ने लोक शिक्षाक माध्यमक लेल उपयुक्त बुझलनि । जखन 1947 ई० मे देश स्वतंत्र भेल आ तदर्थ सभव सम्मति सँ संविधान बनल तँ ई लिखि देल गेल जे हिन्दी क्रमश: अंग्रेजीक स्थान लै लिये आ 1965 ई० सँ एकमात्र हिन्दीए समस्त भारतीय संघक राष्ट्रभाषा भए जाएत । 

12. मातृभाषाक सम्बन्ध मे महात्मा गाँधीक विचार स्पष्ट करू । 

उत्तर – 1947 ई० पर्यन्त भारतवर्ष पराधीन छल। अंग्रेज एकर अधिपति छलाह । ओ अपन अंग्रेजी भाषा मेँ भारतक राजभाषा बनौलनि आ शिक्षोक माध्यम मुख्यतः अंग्रेजिए केँ रखलनि । मुदा स्वतंत्रताक आंदोलन क्रम मे नेता लोकनि सात समुद्र पारक एहि विदेशी भाषा केँ ने राजभाषा, ने राष्ट्रभाषा, ने लोक शिक्षाक माध्यमक लेल उपयुक्त बुझलनि। महात्मा गाँधी एतुक्के कोनो भाषा के राष्ट्रभाषा बनेबाक आवश्यकता बुझलनि । यद्यपि हुनक अपन मातृभाषा गुजराती छलनि। गुजराती कें अपन लिपि तथा साहित्य छैक। तथापि जखन ओ राष्ट्रीय स्वतंत्रताक आंदोलन मे काश्मीर सँ कन्याकुमारी धरि आ अटक सँ कटक धरिक प्रायः सब स्थानक भ्रमण करए लगलाह तँ स्पष्ट देखलनि जे हिन्दीए एकटा एहन भाषा अछि जकरा द्वारा ओ अपन विचारक प्रचार लोक में अधिक ठाम कए सकैत छलाह। शिक्षा पद्धतियों मे हुनका मात्र किरानी वा सरकारी अफसरक सेना तैयार करबाक नहि छलनि। प्रत्युत् सब क्षेत्र मे वास्तविक राष्ट्रीयताक भावना उत्पन्न करबाक छलनि। ते राष्ट्रपति डॉ० जाकिर हुसैनक अध्यक्षता मे एक समितिक निर्माण करौलनि। एकरा द्वारा भाषाक विषय मे त्रिभाषा सिद्धान्तकं योजना स्वीकृत भेल। ई ‘वर्द्धा योजना’ नामे प्रसिद्ध भेल। 

 इसे भी पढ़े :- मिथिलाक सांस्कृतिक सीमा 

Free Online Test 
मैट्रिक ITI Polytechnic Paramedical
12th (Arts)              👈 🔥 👉        12th (Science)

 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *