maithili class 10th
Class 10 Maithili-मैथिलि-Objective Matric [कक्षा-10]

Bihar Board Class 10 Maithili: लेभराह अन्हार मे एकटा इजोत

Bihar Board Class 10 Maithili: गद्ध खण्ड Chapter 10 “लेभराह अन्हार मे एकटा इजोत” Maithili Class 10 Subjective Questions, Class 10 Maithili, Class 10th Matric Exam Maithili (मैथिली)  VVI Objective & Subjective MCQ Question Latest Pattern Model Paper Question Bank,  Class 10th Maithili (मैथिली) Subjective Chapter Wise Question On Latest Pattern


गद्ध खण्ड 

पाठ – 10

“लेभराह अन्हार मे एकटा इजोत”


जाने इस पोस्ट में क्या क्या है ?

Bihar Board Class 10 Maithili

1. स्कूल बनैबाक हेतु वैसा जेठरैयतेक ओतयकरिहुँ किएक ? 

उत्तर- ओहि ठाम बैसबा से दिक्कत होइत । 

2. मास्टर साहेब रजिस्टर उलटा कें की करअ लगैत छथि ? 

उत्तर- मास्टर साहेब रजिस्टर उलटा कए किछु किछु भरय लगैत छथि । 

3. चाह पानक दाम के देलथिन ? 

उत्तर— चाह पानक दाम मास्टर साहेब देलथिन । 

4. शांति निकेतनक अर्थ की होइछ ? 

उत्तर- शांति निकेतन अर्थ शान्तिक घर होइछ । 

5. मास्टर साहेब स्कूलक घर कहिया बनतैक ? 

उत्तर- जहियां घोड़ा पाउज करतैक तहिया स्कूलक घर बनतैक । 

6. छात्र सभ कोन चीज पर बैसल अछि ? 

उत्तर- छात्र सभ बोरा पर बैसल अछि। 

7. बीचवला दृश्य मे पढ़ाई कतय होइत छल ? 

उत्तर- बीचवला दृश्य मे पढ़ाई गाछक तर मे होइत छल । 

8. लेभराह अन्हार मे एकटा इजोत एकांकीक लेखक के छथि ? 

उत्तर— महेन्द्र मलंगिया लेभराह अन्हार नामक एकांकी नाटकक लेखक छथि ।

Bihar Board Class 10 Maithili

Class 10th Matric Exam Maithili (मैथिली) 

9.  ‘लेभराह अन्हार में एकटा इजोत’ एकांकी सामाजिक जीवनक दृश्य उपस्थित कएने अछि, प्रमाणित करू । 

उत्तर- ‘लेभराह अन्हार मे एकटा इजोत’ एकांकी मे सामाजिक जीवनक दृश्य उपस्थित कएल गेल अछि। गामक समाज अछि, समस्या छैक स्कूलक निर्माण लेल जमीनक व्यवस्था करब । अज्ञान रूपी अंधकार कें मिटएबाक हेतु मास्टर साहेबक आगमन गाम मे होइत छनि । ओ गामक प्रतिष्ठित आ धनीक लोक सभ सँ सम्पर्क करैत छथि मुदा क्यो विद्यालय लेल भूमि देबाक हेतु तैयार नहि होइत छथि । चंदो देबा लेल क्यो ग्रामीण राजी नहि होइत छथि। एकांकीक सबटा दृश्य गामक समाज कें द्योतित करैछ । पात्र लोकनिक बाजब- भूकब सेहो ग्रामीण जिनगीक साक्षात् दृश्य प्रस्तुत करैछ। चाहक दोकान पर कोयलाक चूल्हा पर केटली आ सस्पेन राखल छैक । एकटा झोपड़ी ठाढ़ छैक आदि-आदि सामाजिक परिदृश्य उपस्थित करैछ। 

10. लेभराह अन्हार में ‘एकटा इजोत’ एकांकी मे लेखकक विचार स्पष्ट करू। 

उत्तर – ‘ लेभराह अन्हार मे एकटा इजोत’ एकांकीक एकांकीकार थिकाह महेन्द्र मलंगिया । प्रस्तुत एकांकी मे गामघरक ज्वलन्त समस्या पर विचार कएल गेल अछि । ग्रामीण लोकनि सरकारी सुविधा पर निर्भर रहैत छथि । स्कूल भवनक अभाव मे धीयापूताक पढ़ाई सुचारू ढंग सँ नहि होइत अछि । मास्टर साहब ग्रामीण लोकनि मेँ लाख अनुनय-विनय करैत छथिन विद्यालय भवन बनेबाक हेतु, मुदा हुनका सफलता नहि भेटैत छनि । एक गोटे अपन दरबज्जा पर नेना सभ केँ पढ़ेबाक लेल किछु दिन अनुमति तँ देलनि, मुदा ओ बाद मे पाछू हटि गेलाह। 

प्रस्तुत एकांकी मे लेखकक विचार छनि जे गामघरक कोनो समस्यक निष्पादन लेल ग्रामीण लोकनि एकमत नहि होइत छथि । सबगोटा अपन-अपन नफा-नोकसान देखए लगैत छथि। एहन मनोदशा मे गामक विकास अवरुद्ध भए जाइत अछि । 

11. ग्रामीण समस्या पर एकटा निबन्ध लिखू। 

उत्तर- ग्रामीण परिवेश में बहुत रास समस्या होइत अछि। ओहि मे कैकटाक समाधान तँ सरकार द्वारा होइत छैक आ कैकटा समस्याक हल ग्रामीण लोकनि स्वयं करैत छथि। यद्यपि सरकारो कोनी समस्याक समाधान तखने कए सकैछ जखन गामघरक लोकक मदति ओकरा भेटतैक। ग्रामीण जँ कोनो काजक निष्पादन मे सरकारक विरोध करत तँ समस्या ठाढ़ भए जाइत छैक। यावत् काल कोनो समस्या पर समस्त ग्रामीण एकमत नहि हेताह तावत् काल ओकर हल निकलब सम्भव नहि होएत। Bihar Board Class 10 Maithili

       गाम मे रहनिहार लोकक मानसिकता बड़ विचित्र होइत छनि । क्यो हानि आकि घाटा सहबा लेल तैयार नहि होइत छथि। आब गामक एकटा समस्या के ‘लेभराह अन्हार मे एकटा इजोत’ मे देखाओल गेल अछि। गाम मे सरकार दिस सँ बच्चा सभ कँ पढ़एबाक लेल मास्टरक व्यवस्था छैक । मुदा विद्यालय नहि छैक। गाछ तर मे मास्टर साहेब नेना लोकनि कें पढ़बै छथिन। ग्रामीण लोकनि मे एकहुटा एहन नहि छथि जे अपन दलान पर बच्चा सभक पढ़एबाक व्यवस्था कए सकथिन । क्यो स्कूल लेल जमीन देबा लेल तैयार नहि छथि । किनको कहब छनि जे हम भूमि किएक दिअइ, मात्र हमरे नेना स्कूल में पढ़त । क्यो कहैत छथि जे एतेक दिन कोन स्कूल छलैए हमर बच्चा सभ तँ आनेठाम जाकर पढ़लक । स्कूल भवन सँ फायदा मास्टर कें हेतैक, दरमाहा मास्टर साहेब केँ भेटैत छनि, हम सब एहि मे किऐ पड़ । 

 एहिना गामघरक कोनो समस्या पर ग्रामीण लोकनि मे ततेक मतान्तर भए जाइत छनि जे समस्या अओरो ओझरा जाइत अछि। समस्याक समाधान लेल स्वस्थ मानसिकताक होएक अनिवार्य अछि । 

12. ‘लेभराह अन्हार मे एकटा इजोत’ एकांकी मे लेखकक विचार स्पष्ट करू। 

उत्तर- लेभराह अन्हार मे एकटा इजोत’ एकांकी मे लेखक ग्रामीण परिवेशक सद्यः चित्र उतारि कए राखि देने छथि । लेखकक विचार स्पष्ट छनि जे गामक लोक कतबो पैघ होथि, प्रतिष्ठित होथु मुदा दसगर्दा काज में एको पाइक सहयोग देब निरर्थक बुझैत छथि । लोक केँ बुड़िबक बना खएबा मे अपना केँ बुधियार बुझैत छथि । 

विवेच्य एकांकी में वर्णित गामक लोक स्कूलक निर्माण लेल जमीन देबक लेल राजी नहि होइत छथि। हुनका लोकनि केँ होइ छनि जे विद्यालय में दरमाहा भेटतनि मास्टर साहेब के आ जमीन दियैक हम सब । आइ घरि गामक धीयापूता कोना पढ़लक। सब समस्या के एक- दोसरा पर टारैत छथि। विचार-विमर्श करबाक लेल चाहक दोकान पर बैसार कएल गेल । ओहो चाहक पाइ मास्टरे साहेब कें देमए पड़ैत छनि । गामक लोकक मनोवृत्तिक स्पष्ट झलक एहि एकांकी मे लेखक देखा देने छथि । Bihar Board Class 10 Maithili


Free Online Test 
मैट्रिक ITI Polytechnic Paramedical
12th (Arts)              👈 🔥 👉        12th (Science)

S.N मैथिलि कक्षा-10  [ VVI OBJECTIVE QUESTIONS]
गद्ध – भाग 
1. मिथिलाक सांस्कृतिक सीमा 
2. राष्ट्रभाषा ओ मातृभाषा 
3. जवाहर : जेहन देखलहुँ जेहन पओलहुँ
4. चंद्रमुखी 
5. भोजन 
6. पर्यावरण 
7. भारतीय संविधान निर्माता डॉ० बी०आर० अम्बेदकर 
8. क्रैक  
9. भारतीय स्वतंत्रता संग्राम एवं संविधानक रूपरेखा 
10. लेभराह अन्हार मे एकटा इजोत
11. बाबाक आत्मीयता
12. भरी छिपा भात 
पद्ध खण्ड 
1.  शिवगीत 
2.  समय – साल 
3. भावि भरदुतिया विधान है  
4. हs आब भेल वर्षा  
5. एड्सक कालनाग  
6. कर्मवीर  
7. जय जवान : जय किसान  
8. वंदना  
9. बच्चा  
10. रौदी अछि  
11. हाथ  
12. माँ  
मिथिला विभूति 
1. जनक आ याज्ञवल्क्य 
2. विद्यापति
3. चंदा झा 
4. सुभद्र झा
5.  लक्ष्मण झा
6. माँगन खबास
7. गोदावरी दत्त

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *