maithili class 10th
Class 10 Maithili-मैथिलि-Objective Matric [कक्षा-10]

Class 10 Maithili Question Answer: भरि छीपा भात Chapter 12

Class 10 Maithili Question Answer: भरि छीपा भात Chapter 12 VVI Important Question, class 10 maithili question answer, class 10 maithili, maithili class 10 subjective question answers, class 10 maithili notes


मैथिली [कक्षा-10]

गद्ध खण्ड [पाठ-12]

भरि छीपा भात


जाने इस पोस्ट में क्या क्या है ?

Class 10 Maithili Question Answer

1. के तोतरा के अपन टोलक कथा सुनबैए ? 

उत्तर- बुतहिया तोतराय केँ अपन टोलक कथा सुनबैत अछि । 

2. बेटी के के गदागद मुकियाबय लगेछै ? 

उत्तर- बतहिया बेटी के गदागद मुकियाबय लगैछै । 

3. बतहियाक बेटाक पेट कहेन छल ? 

उत्तर- बतहियाक बेटाक पेट कुम्हर सन छल । 

4. बतहियाक हाथ कहेन छलै ? 

उत्तर — बतहियाक हाथ कुशियारक गाँठ जकाँ गोर छलैक। 

Maithili Class 10

5. पाखी खोता जकाँ ककर केश छलै ? 

उत्तर- बतहियाक केश खोता पाखीक जकाँ छलै । 

6. कहियो ककरा आँखि मे सरिसो फुलाएल छलै ? 

उत्तर – कहियों बतहिया आँखि मे सरिसो फुलाय छलै ।

7. बतहिया पर मातृकक की अबैत छलैक ? 

उत्तर- बतहिया पर मातृकक भूत अबै छलैक। 

8. गाम घर मे बतहियाक विषय में की प्रसिद्ध छैक ? 

उत्तर- गाम घर मे प्रसिद्ध छैक जे बतहिया लौंगिया मिरचाइ छैक । 

9. बतहियाक बोली कहेन छल ? 

उत्तर- बतहियाक बोली मीठ छल। 

10. बतहियाक बात पर कोन महिला हँसय लगलीह ? 

उत्तर – रामपट्टीवाली बतहियाक बात पर हँसय लगलीह । 

11. बतहिया कें की देखबाक लालसा अछि ? 

उत्तर- बतहिया केँ भरि छीपा भात देखबाक लालसा अछि। 

12. बतहिया कें कैकटा सन्तान अछि ? 

उत्तर- बतहिया कें चारिटा संतान अछि । 

13. विभा रानीक कोन कथा अहाँक पाठ्य-पुस्तक में संकलित अछि ? 

उत्तर – विभा रानीक ‘भरि छीपा भात’ शीर्षक कथा हमरा पाठ्य-पुस्तक मे संकलित अछि। 

Maithili Class 10 Subjective Question Answers

14. ‘भरि छीपा भात’ के सारांश अथवा उद्देश्य लिखू। 

उत्तर- ‘भरि छीपा भात’ विभा रानी लिखित कथा थिक । प्रस्तुत कथा भारतीय जनजीवनक दयनीय दशाक एकगोट मार्मिक चित्र उपस्थित करैत अछि। हमरा लोकनिक समाज में कतेको गोटे एहन हतभाग अछि जकरा भरि पेट भोजन भाग्य मे नहि लिखल छैक। ओ दिन राति काज करैत अछि, मुदा अन्नक बिना ओकर बाल-बच्चा भूखल रहैछ। एहने एकटा माउगि थिक बतहिया । ओकर असली नाम फुलेसरी छैक । स्वामी मरि गेल छै, विधवा अछि । चारिटा धियापुताक पोसबाक भार छैक। स्वामी जीवितो छलैक तखनो ओ अपने कमाइ पर गुजर करैत छल। दुलहिन के मालिश कए एकटाक टाका लैत अछि। बतहिया एहन दीन-हीन रहैक जे भरि छीपा भात देखने नहि रहैक । एक दिन दुलहिन सँ कहैत छै, “दुलहिन अहाँ कहियो भरि छीपा भात खेने छी? हमरा होइयए जे भरि छीपा भात देखए मे कतेक नीक लागत हेतै ? आ ताहू मे अरबा चाउरक । कतेक सुन्दर महक होइ छै । हमर बुढ़वा चारि – पाँच बेर ओहन भात खइने छल । आधा आधा छीपा आनबो कएने ररए, मुदा चारिटा टेल्हबा – टेल्हबी मे किछु रहए पबै छैक …. दुलहिन यै, बड़ नीक लागइ होएतै ने भरि छीपा भात देख – ‘सुन’ मे!” दुलहिन, बतहिया केँ ‘ भरि छीपा भात’ दैत छथिन खएबा लेल । मुदा ओ छीपा लए अपन घर चलि जाइत अछि। घर पर धियापुता सभ भरि छीपा भात खाए जाइत छै, बतहिया उपासले रहि जाइछ । Class 10 Maithili Question Answer

विवेच्य कथा में लेखिका देखएबाक चेष्टा कएलनि अछि जे भरि छीपा भातक दर्शन एखनो कतेक लोक लेल दुर्लभ छैक। कथाक अन्त विषाद सँ होइत अछि । 

15. बतहियाक चरित्र चित्रण करू। 

उत्तर’ बतहिया’, ‘भरि छीपा भात’ शीर्षक कथाक मुख्य पात्र थिक । एहि कथा कें विभा रानी लिखने छथि । बतहियाक असली नाम फुलेसरी थिकैक। परञ्च एहि नाम सँ ओकरा क्यो सोर नहि पाड़ैत छैक। ओ निम्नवर्गक स्त्रीगणक एकटा प्रतीक थिक । बतहिया लौंगिया मिरचनाइ छैक, किन्तु बेर कुबेर ओ गूड़क ढेली भए जाइत छैक। लटपटाइत बोली आ अलबटाह चालि ओकर नामकरणक सार्थकता दैत रहैछ । ओ सभ दिन अपने कमाइ पर गुजर करैत आएल अछि । पछाति ओकर घरवला मरि गेलैक। आब दुलहिन के देह मे मालिश कए एकटाक टाका लैछ, सेहो चारिटा चौअन्नी । चारि गोट नेना छै, तकर पालन-पोषण अभावग्रस्त भए कोनहुना करैत अछि । अभाव रहितो बतहिया गलत रस्ता नहि धरैत अछि। एहि तरहे स्पष्ट अछि जे ओ मेहनतिया माउगि अछि।


Class 10 Maithili Question Answer, class 10th maithili book pdf 

S.N Non-Hindi (अहिन्दी) Objective Questions
1. तू जिंदा है तो 
2. ईदगाह 
3. कर्मवीर
4. बलगोबिन भगत 
5. हुंडरू का जल प्रताप
6. बिहारी के दोहे 
7. ठेस 
8. बच्चे की दुआ 
9. अशोक का शस्त्र त्याग 
10. इर्ष्या तू न गई मेरे मन से 
11. कबीर के पद 
12. विक्रमशिला 
13. दीदी की डायरी 
14. पीपल 
15. दीनबंधु “निराला”
16. खेमा 
17. खुशबु रचते हाथ 
18. हौसले की उडान
19. जननायक कर्पूरी ठाकुर 
20. झाँसी की रानी 
21. चिकित्सा का चक्कर 
22. सुदामा चरित 
23. राह भटके हिरण के बच्चे 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *