maithili class 10th
Class 10 Maithili-मैथिलि-Objective Matric [कक्षा-10]

Class 10 Maithili Chapter 11: बाबाक आत्मीयता

Class 10 Maithili Chapter 11: बाबाक आत्मीयता Maithili VVI Question Answer, class 10th maithili book pdf, maithili class 10 subjective question answers, maithili class 10 subjective question answers, Class 10th Maithili objective


मैथिलि गद्ध खण्ड 

11. बाबाक आत्मीयता


जाने इस पोस्ट में क्या क्या है ?

Class 10 Maithili Chapter 11

1. बाबा बड़का – बड़का के घमंड तोड़बाक हेतु की करैत छलाह ? 

उत्तर— बाबा बड़का – बड़काक घमंड तोड़बाक हेतु व्यंग्यात्मक कविता लिखैत छलाह । 

maithili Class 10 Chapter 11

2. बाबा के कैकंटा मोन छल ? 

उत्तर— बाबा के एक्केटा मोन छल । 

3. सौंसे भारत में बाबाक कतेक परिवार छलनि ? 

उत्तर- सौंसे भारत में बाबा के हजारों परिवार छलनि। 

4. पण्डित सभ कतेका चश्मा लगा कय किनका देखनि ? 

उत्तर- पण्डित सभ यात्रीजी कें कतेको चश्मा लगाकय देखनि । 

5. बाबा की छलाह ? 

उत्तर— बाबा यात्री छलाह । 

6. आत्मीयता किनका सँ सिखबाक चाही ? 

उत्तर- बाबा सँ आत्मीयता सिखबाक चाही । 

7. बाबाक आत्मीयता सँ की तात्पर्य अछि। 

उत्तर- बाबा माने यात्री, नागार्जुन । आत्मीयता माने अपनापन । अपेक्षितारय एतवय नहि जागी केँ बुझबाक लेल हुनक जीवन ओ लेखन सँ परिचित होयबाक लेल आत्मीयता शब्दक व्याप्ति जानब आवश्यक अछि । 

8. बाबा कहायब किनका नीक लगनि ? 

उत्तर- यात्रीजी कें बाबा कहायब नीक लगनि । 

9. भोजपुर इलाका मे ब्राह्मण कें की कहल जाइत छैक ? 

उत्तर- भोजपुर इलाका में ब्राह्मण के बाबा कहल जाइत छैक । 

10. किनका नवयुवतियो सँ बाबा कहेबा मे कोनो आपत्ति नहि छलनि ? 

उत्तर – महामना यात्रीजी कें नवयुवतियो कहेबा मे कोनो आपत्ति नहि छलनि। 

11. बाबा कें की सभ पसिन्न छलनि ? 

उत्तर- बाबा केँ गाछबिरीछ बड़ पसिन्न रहनि । अगहन मास हुनका प्रिय छलनि । हुनका बच्चा संग खेलब, माछ, मखान, मिथिलाक पोखरि पसिन्न छलनि। 

12. सौंसे भारत यात्री के कोन नाम सँ जानैत अछि ? 

उत्तर- सम्पूर्ण भारत यात्री कँ नागार्जुन नाम सँ जानैत अछि । 

13. यात्रीजी में आत्मीयता कतय सँ अयलनि ? 

उत्तर – बाबा मे आत्मीयता अपन लोक संस्कृति सँ अयलनि । 

14. बाबा कें की पसन्द नहि छलनि ? 

उत्तर— बाबा के एक्को रत्ती घमण्ड पसंद नहि छलनि। 

Class 10th Maithili VVI Questions

15. बाबाकं चरित्र चित्रण करू। 

उत्तर- बाबाक कथनी आ करनी मे कोनो अन्तर नहि छलनि। ओ जे बजैत छलाह सैह करैत छलाह । ओ ककरो छोट नहि बुझैत छलाह । हुनका लेल क्यो अस्पृश्य नहि छल। ओ भेद-भाव, वर्ग, जाति नहि चाहैत छलाह। वर्ग-भेद देखि ओ तमसा जाथि शोषण आ अत्याचार हुनका एकदम पसिन नहि छलनि । यैह कारण भेल जे ओ शोषक, अत्याचारी सभ प्रकारक लोक केँ अपन कविताक माध्यमे चेतौनी देलनि। वस्तुतः बाबाक आत्मा में एकटा कृषकक वास छल । हुनका खेतीक उपकरण जेना हर, कोदारि, खुरपी आदि सँ अत्यधिक लगाव छलनि। बाबा केँ अपन मिथिला, एतुक्का प्रकृति, एहिठामक स्त्रीगण, नेना लोकनि सँ बड़ आत्मीयता छलनि। हुनका अगहन मास बड़ प्रिय छलनि। मेध देखि ओ उमंग मे नाचए लागथि । मिथिलाक पोखरि, ओहि महक माछ आ मखान बाबा के बड़ नीक लगनि । सम्पूर्ण भारत मे बाबाक हजारो परिवार रहनि । परिवारक हरेक सदस्यक ओ बाबा रहथि। बच्चा सभक संग ओ संगतुरिया बनिकए खेलाइत छलाह । गृहिणी लोकनि केँ घर सुंदर बनौनाइ सिखबैत छलथिन । तरकारी- तीमन बनौनाइ सेहो सिखबैत छलथिन । बाबा जाहीठाम जाथि ओतुक्के परिवेश मे अपना कें मिला लेथि। वास्तव मे बाबाक चरित्र अनुकरणीय छल। 

16. ‘बाबाक आत्मीयता’ शीर्षक रचनाकर सारांश लिखू। 

उत्तर- बाबा एकटा यात्री छलाह, एकटा खेतिहर छलाह, शोषित पीड़ितक पक्षधर छलाह । हुनका प्रकृति सँ प्रेम रहनि । अगहन मास हुनका बड़ प्रिय छलनि । अगहन में धान होइ छै। श्रमिक, किसानक घर अन्न सँ भरि जाइत छैक । खेत बाबाक मन मे रचल – बसल छल। कोदारि, खुरपी, हर, खेती मे काज अबइवला औजार सभ ओ कहियो नहि बिसरि सकलाह । बाबा यात्री रहथि। सम्पूर्ण भारत मे हनुक कैकटा परिवार छलनि। ओ विभिन्न संस्कृतिक लोक ओतए जाइत छलाह । जातिक प्रतिबन्ध हुनक लेल नहि छल। बाबा ककरो छोट नहि बुझैत रहथि। पैघत्व कारण ककरो मोजर देब ओ नहि जनैत छलाह। ओ सभ केँ अपने समान बुझैत छलाह । घमंड हुनका एकोस्ती सहन नहि छलनि । अपन कविताक अचूक व्यंग्य-वाण सँ ओ ककरो बेधि सकैत छलाह । हुनका लेल क्यो अस्पृश्य नहि रहनि । सृष्टिक हरेक वस्तु बाबा कें सुन्दर ओ सार्थक लगैत रहनि । 

मिथिला सँ हुनका अतिशय प्रेम छलनि । एतुक्का भोजन – विन्यास, प्रकृति, लोकवेद सभ सँ हुनका अत्यधिक स्नेह छलनि। सौंसे भारत बाबाक आत्मीयता सँ परिचित छल । 

Class 10 Maithili Chapter 11, Class 10 Maithili Chapter 


S.N Non-Hindi (अहिन्दी) Objective Questions
1. तू जिंदा है तो 
2. ईदगाह 
3. कर्मवीर
4. बलगोबिन भगत 
5. हुंडरू का जल प्रताप
6. बिहारी के दोहे 
7. ठेस 
8. बच्चे की दुआ 
9. अशोक का शस्त्र त्याग 
10. इर्ष्या तू न गई मेरे मन से 
11. कबीर के पद 
12. विक्रमशिला 
13. दीदी की डायरी 
14. पीपल 
15. दीनबंधु “निराला”
16. खेमा 
17. खुशबु रचते हाथ 
18. हौसले की उडान
19. जननायक कर्पूरी ठाकुर 
20. झाँसी की रानी 
21. चिकित्सा का चक्कर 
22. सुदामा चरित 
23. राह भटके हिरण के बच्चे 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *