maithili class 10th
Class 10 Maithili-मैथिलि-Objective Matric [कक्षा-10]

Maithili Class 10 Subjective Notes: मैथिली गद्ध खंड Chapter 6 Subjective

Maithili Class 10 Subjective Notes: इस लेख में Maithili ( मैथिली ) गद्ध खंड Chapter – 6 पर्यावरण Subjective Questions Answer देखेगे. Class 10 Maithili pdf Download कर सकते है जो आपके Bihar Board matric Exam के लिए महत्वपूर्ण है.


Maithili ( मैथिली ) गद्ध खंड

Chapter – 6 पर्यावरण


जाने इस पोस्ट में क्या क्या है ?

Class 10 Maithili Subjective Question Chapter 6

1. वसात मे अनेक प्रकारक गैस मिलल रहैत छैक- कोनो एक प्रमुख गैसक नाम लिखू । 

उत्तर— हवा में अनेक प्रमुख गैस मे सँ ऑक्सीजन प्रमुख गैस अछि। 

2. पर्यावरण ककरा कहल जाइछ ? 

उत्तर— जीवनी सकिक सुरक्षाक लेल एक प्रकारक वातावरणक आवश्यकता होइत छैक ओकरे पर्यावरण कहल जाइछ । 

3. पर्यावरणक तीन मुख्य अंग कोन कोन अछि ? 

उत्तर- पर्यावरणक तीन प्रमुख अंग अछि-वसात, पानि आ वनस्पति । 

4. हमरा लोकनि कोन गैस छोड़ैत छी ? 

उत्तर— कार्बन डाईऑक्साइड गैस हमरा लोकनि छोड़ैत छी । 

5. मनुष्यक हेतु कोन गैस आवश्यक अछि ? 

उत्तर- मनुष्यक हेतु आक्सीजन गैस आवश्यक अछि। 

6. वायुक बाद सभसँ महत्त्वपूर्ण वस्तु की थिक ? 

उत्तर- वायुक बाद सभसँ महत्त्वपूर्ण वस्तु जल थिक । 

class 10 maithili subjective question chapter 6
class 10 maithili subjective question

7. ऑक्सीजन कथीक हेतु आवश्यक अछि ? 

उत्तर- मनुष्यक हेतु ऑक्सीजन आवश्यक अछि। 

Maithili Class 10 Subjective Question Answers

8. आइ धार्मिक आ सांस्कृतिक चेतनाक अवमूल्यन सँ कोन समस्या उत्पन्न भए रहल अछि ? 

उत्तर—आइ धार्मिक आ सांस्कृतिक चेतनाक अवमूल्यन सँ वृक्ष संरक्षणक समस्या उत्पन्न भए रहल अछि। पूर्व मे धार्मिक ओ सांस्कृतिक चेतनाक कारणे लोक वृक्षारोपण करैत छल। लोक मे एहन विश्वास रहैक जे एक वृक्ष लगओला सँ दस 

पुत्र होएबाक पुण्य होइत छैक। बटसावित्री, जूड़शीतल एवं अओरो बहुत रास पूजा-पाठ में वृक्षक पल्लव, तना आदिक प्रयोजन होइत छैक। तुलसी गाछक पूजा कएल जाइछ। एखनो प्रत्येक गाम मे ब्रह्मस्थान पीपरेक वृक्षतर होइत छैक । मुदा धार्मिक आ सांस्कृतिक चेतनाक विलुप्त भेला सँ लोक वृक्षारोपण दिस ध्यान नहि दैछ । यैह हेतु अछि जे आइ सरकार के वन महोत्सवक आयोजन कर पड़ैत छैक । 

9. संसारक सभ जीवित प्राणी साँसक रूप में ऑक्सीजन लैत अछि तइयो ऑक्सीजनक मात्रा घटैत नहि अछि किएक ? लिखु । 

उत्तर—जन्तु ऑक्सीजन साँसक रूप मे ग्रहण करैत अछि आ कार्बन डाइऑक्साइड छोड़ैत अछि तहिना गाछ-वृक्ष कार्बन डाइऑक्साइड साँसक रूप में ग्रहण करैत अछि आ ऑक्सीजन छोड़ैत अछि। इएह कारण अछि जे वायुमंडल सँ सभ जन्तु द्वारा ऑक्सीजन ग्रहण कएलाक बादो ओकर अभाव नहि होइत अछि । प्रकृति अपना में प्रतिपल संतुलन बनबैत रहैत अछि तँ असंतुलन नहि होइत छैक। गाछ – वृक्ष आ वनक अधिकताक कारण पहिने ऑक्सीजन नहि घटैत छल । मुदा आब ठाम ठाम एकर अभाव भए गेल अछि । 

10. पर्यावरणसँ की बुझैत छी, लिखू । 

उत्तर- मनुष्य होहवा पशु, गाछ – वृक्ष होवा घास पात, सभ में जीवन होइत छैक, जीवनी शक्ति होइत छैक। एहि जीवनी शक्तिक सुरक्षा हेतु एक प्रकारक वातावरणक आवश्यकता होइत छैक ओकरे पर्यावरण कहल जाइत छैक। वसात, पानि, वनस्पति धरा आदि प्रकृतिक ई सभ वस्तु प्रत्येक जीव लेल जरूरी अछि । ई सभ पर्यावरणक अंग थिक । एहि सभक स्वच्छता प्रत्येक प्राणीक अस्तित्व रक्षाक अनिवार्य आधार थिक। पर्यावरणक कारण लोक स्वास्थ्य खराब भए रहल अछि तँ प्रत्येक मानवक हेतु पर्यावरणक रक्षा करब पुनीत कर्त्तव्य भए गेल अछि ।

Class 10 Maithili (मैथीली) Long Questions Answer

11. नदी आ पोखरिक महत्त्वक वर्णन करू। 

उत्तर- पर्यावरणक दोसर महत्त्वपूर्ण अंग थिक जल। जलक मुख्य स्रोत अछि नदी आ पोखरि । प्रारंभ मे पोखरि आ नदीक पानि शुद्ध ओ स्वच्छ रहैत छल। ते पोखरि आ नदी में स्नान करब पवित्र काज मानल जाइत छल । जलक महत्त्व कँ ध्यान मे राखि कए हमरा लोकनिक पुरखा पोखरि एवं इनार खुनबैत छलाह। पोखरि – इनार खुनाएब प्रतिष्ठाक कार्य बूझल जाइत छल । मिथिला मे कतेक राजा तेहन – तेहन पोखरि खुनौने छथि, जाहि कारणे हुनका सभक नाम आइ धरि लोक लैत अछि। मिथिलांचल नदी – मातृक देश अछि। तें एहिठाम जलाशयक प्रचुरता अछि। एकर उपयोग गामक लोक करैछ। किंतु आइ – काल्हि गामघर मे पोखरि – इनारक पानि के व्यवहार मे आनब लोक छोड़ने जा रहल अछि। तकर मुख्य कारण एहि सभ जलाशयक दूषित होएब थिक । नदीक जल मे सेहो अनेक प्रकारक गंदगी मिलैत अछि आ ओकरा दूषित कए दैछ । कल-कारखानाक गदौस बहिकए नदी मे खसैछ आ ओकर पानि के विषाक्त कए दैछ । गंगा सन पवित्र ओं विशाल नदीक पानि सेहो प्रदूषित भए गेल अछि। 

जल जीव-जंतु आ वनस्पति लेल अत्यंत आवश्यक तत्त्व अछि। तें नदी, पोखरि एवं अन्य जलागारक स्वच्छता पर ध्यान देब अनिवार्य थिक । 

12. पहिने वृक्षारोपणक कोन उद्देश्य छलैक ? 

उत्तर – पहिने लोक गाछ – वृक्ष आ वनक महत्त्व खूब जनैत छल । तें घर तथा गामक समीप खूब गाछ लगबैत छल । लोकक मन में एहन धारणा छलैक जे एक वृक्ष लगओला सँ दस पुत्र होएबाकं पुण्य होइत छैक। लोक केँ इहो ज्ञात छलैक जे वृक्षक रहला सँ ऑक्सीजन पर्याप्त मात्रा मे भेटत । गाछक लकड़ीक काज अनेक प्रकारें मुनक्ख मेँ होइत छलैक। चकला – बेलना सँ लए कए लाठी भाला धरि मे लकड़ीक उपयोग होइत छलैक। केबाड़ – खिड़की, चौकी-संदूक, खुरपी-हांसू, कोदारि-हर- पालो आदि सबकथू में तँ लकड़ीएक उपयोग होइत छलैक। संगहि जारनिक काज मे सेहो लकड़ीक व्यवहार होइत रहैक । जरलाक बादो लकड़ी कोयलाक रूप मे काज अबैत छलैक। सिम्मरक लकड़ी सँ दियासलाइक काठी बनैत छलैक, तँ देवदारूक लकड़ी सँ पेन्सिल । आइ – काल्हि जकाँ प्लास्टिक, गैस आ लाइटर आदिक प्रचलन पहिने नहि छलैक। प्लाइवुड आ अन्यान्य धातुक केबाड़ – खिड़की आ कुर्सी-टेबुलक प्रचलन नहि भेल छलैक। ते जीवन मे बहुतो आवश्यकताक पूर्ति लेल लोक गाछ-वृक्ष पर आश्रित रहैत छल। यैह हेतु छल जे पहिने लोक वृक्षारोपण अधिक करैत रहए। Maithili Class 10 Subjective Notes

13. पर्यावरणक सुरक्षामे गाछ-वृक्ष कोना मदति करैत अछि, संक्षेपमे लिखू। 

उत्तर- पहिने लोक गाछ-वृक्ष आ वनक महत्त्व खूब जनैत छल । तें घर तथा गामक समीप खूब गाछ लगबैत छल। लोकक मन मे एहन धारणा छलैक जे एक वृक्ष लगओला सँ दस पुत्र होएबाक पुण्य होइत छैक। लोक मेँ इहो ज्ञात छलैक जे वृक्षक रहला सँ ऑक्सीजन पर्याप्त मात्रा मे भेटत । गाछक लकड़ीक काज अनेक प्रकारे मुनक्ख मेँ होइत छलैक। चकला – बेलना सँ लए कए लाठी भाला धरि मे लकड़ीक उपयोग होइत छलैक। केबाड़-खिड़की, चौकी-संदूक, खुरपी – हांसू, कोदारि-हर- पालो आदि सबकथू मे तँ लकड़ीएक उपयोग होइत छलैक। संगहि जारनिक काज मे सेहो लकड़ीक व्यवहार होइत रहैक । जरलाक बादो लकड़ी कोयलाक रूप मे काज अबैत छलैक। सिम्मरक लकड़ी सँ दियासलाइक काठी बनैत छलैक, तँ देवदारूक लकड़ी सँ पेन्सिल । आइ – काल्हि जकाँ प्लास्टिक, गैस आ लाइटर आदिक प्रचलन पहिने नहि छलैक। प्लाइवुड आ अन्यान्य धातुक केबाड़ – खिड़की आ कुर्सी-टेबुलक प्रचलन नहि भेल छलैक। ते जीवन में बहुतो आवश्यकताक पूर्ति लेल लोक गाछ-वृक्ष पर आश्रित रहैत छल । यैह हेतु छल जे पहिने लोक वृक्षारोपण अधिक करैत रहए। Maithili Class 10 Subjective Notes


Free Online Test
मैट्रिक ITI Polytechnic Paramedical
12th (Arts)              👈 🔥 👉        12th (Science)

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *