Maithili Subjective Suestions
Class 10 Maithili-मैथिलि-Objective Matric [कक्षा-10]

Class 10 Maithili VVI Questions Chapter 3 : जवाहर: जेहन देखलहुँ जेहन पओलह

Class 10 Maithili VVI Questions इस पोस्ट में Class 10th Board Exam के लिए मैथिलि गद्ध खण्ड पाठ 3 के महत्वपूर्ण प्रश्न को अपने शब्दों में देखेगे. Class 10 Maithili Notes आपके बोर्ड परीक्षा के लिए बेहतर शाबित होगा. इसलिए इस पोस्ट को अच्छे से पढ़े.


गद्ध खण्ड 

3. जवाहर: जेहन देखलहुँ जेहन पओलह


1. मैथिली कोना साहित्य अकादेमी मे प्रवेशक योग्यता रखैत अछि। 

उत्तर- मैथिली अत्यन्त प्राचीन भाषा अछि । कविशेखराचार्य ज्योतिरीश्वर ‘वर्णरत्नाकर’ सन काव्योपयोगी ग्रन्थक सृजन कएलनि । कविकोकिल विद्यापति श्रृंगार ओ भक्तिक स्रोत पदावली रचि उड़ीसा, नेपाल, आसाम आ बंगालक कविगण कें प्रभावित कएलनि। मिथिलाक संस्कृति भारतवर्षक आन क्षेत्र सँ भिन्न छैक। मैथिलीक अपन लिपि रहलैक अछि। एहि सभक कारणे साहित्य अकादेमी में प्रवेशक योग्यता मैथिली रखैछ ।


2. जयकान्त मिश्रक अनुसार जमाहिर लाल की छलाह ? 

उत्तर— जयकान्त मिश्रक अनुसार जमाहिर लाल वस्तुतः जमाहिर छलाह ‘लालो’ छलाह ओ हीरा छलाह ।

LGR Study App


3. डॉ० जयकान्त मिश्र कोन साहित्य अकादेमीक कोन सभाक सदस्य निर्वाचित भेलाह ? 

उत्तर- डॉ० जयकान्त मिश्र साहित्य अकादेमीक साधारण सभाक सदस्य निर्वाचित भेल छलाह।


4. 1962 ई० मे साहित्य अकादेमीक उपाध्यक्ष के छलाह ? 

उत्तर— डॉ० राधाकृष्णन      Class 10 Maithili VVI Questions


5. 1962 ई० मे साहित्य अकादेमीक अध्यक्ष के छलाह ? 

उत्तर- 1962 ई० मे साहित्य अकादेमी अध्यक्ष डॉ० कृष्णा कृपलानी छलाह ।


6. साहित्य अकादेमी मे मैथिलीक प्रवेशक विषय मे जयकान्त मिश्र किनका सँ भेंट कयलनि ? 

उत्तर- जयकान्त मिश्र पं० जवाहर लाल नेहरू सँ भेंट कयलनि ।


7. लेखक जयकान्त मिश्र किनका सँ विशेष प्रभावित भेल छलाह ? 

उत्तर— लेखक जयकान्त मिश्र पं० जवाहर लाल नेहरू सँ विशेष प्रभावित भेल छलाह ।


8. मैथिलीक पक्ष मे दोसर भाषाक विद्वान द्वारा प्रकट कएल गेल विचारक उल्लेख करू। 

उत्तर- साहित्य अकादेमीक साधारण सभाक अधिवेशन (31 मार्च, 1963) मे सुधांशुजी के जयकान्त मिश्र कहलथिन जे ई काज अपनहुक थिक । तइ पर सुधांशुजीक वक्तव्य भेलहँ, अपने आगाँ बदू, शुभं भूयात् । पछाति अधिवेशन मे गुजराती कवि उमाशंकर जोशी ठाढ़ भए निवेदन कएलथिन जे प्रस्ताव कएनिहार जयकान्त बाबू स्वयं आएल छथि। हुनका प्रस्ताव रखबाक अवसर देल जाइक। नेहरू जी, जयकान्त बाबू दिस तकलनि । जयकान्त बाबू तैआरे बैसल छलाह। अपन विचार सभहिक सोझाँ रखलनि । हुनक प्रस्तावक अनुमोदन डॉ० रामकुमार वर्मा कएलनि । डॉ० वर्मा इलाहाबाद विश्वविद्यालय में हिन्दीक प्रोफेसर एवं अध्यक्ष छलाह । बंगला भाषाक विद्वान् विभूति भूषण मुखोपाध्याय आ मराठीक विद्वान् मामा बालेकर जयकान्त बाबूक पक्ष मे छलथिन ।


9. पं0 जवाहर लाल नेहरूक भाषा प्रेमक वर्णन करू। 

उत्तर – पं० जवाहर लाल नेहरू के भाषा प्रेम अत्यधिक छलनि। जयकान्त मिश्र मैथिली सँ संबद्ध पोथी सब जखन नेहरूजी के देलखिन तँ नेहरूजी ओकरा देखलनि, उनटा – पुनटा कए पढ़लनि आ बजलाह जे नीक लगेछ । अवकाश भेला पर एकटा सभ केँ – पढ़ब । जयकान्त मिश्रक ई कहला पर जे मैथिलीक संबंध मे नाना प्रकारक भ्रान्ति पसरल छैक तथा ओकर प्रगति मे बाधा राखल जाइत अछि। एहि पर पंडितजी बजलाह, ‘भाषा और साहित्य के बारे मे विवाद की क्या बात है ? किसी को मैथिली या राजस्थानी से विवाद क्यों हो सकता है?’ साहित्य अकादेमी मे मैथिली मेँ स्थान देबा सँ सम्बद्ध जयकान्त बाबूक पत्रक उत्तर में जवाहर लाल लिखलनि जे हुनका मिश्रजीक तर्क सुन्दर ओ समीचीन बुझाइत छनि । ओ हुनक पत्र साहित्य अकादेमीक उपाध्यक्ष डॉ० राधाकृष्णन् केँ समुचित उत्तर देबाक हेतु पठा देने छथि । साहित्य अकादेमीक साधारण सभाक अधिवेशन (31 मार्च, 1963) मे अंग्रेजी में लिखल अपन प्रतिवेदन पढ़लनि । प्रायः 45 मिनटक जयकान्त बाबूक भाषण के नेहरूजी ध्यानपूर्वक सुनलनि । साउथ एक्स्टेन्शन मे आयोजित मैथिली पुस्तक प्रदर्शनीक उद्घाटनक अवसर पर नेहरूजी अएलाह । बीस मिनटक निर्धारित समय छल से नेहरूजी डेढ़ घंटाक समय प्रदर्शनी मे देलनि। 500 सँ ऊपर मैथिलीभाषी जनसमुदायक बीच ओ सभ सँ सर्वसाधारण जकाँ मिलैत- घुमैत जनताक नेता लगैत छलाह। बड़े प्रेम आ सौहार्द्र सँ सभआ सुनैत, पुछैत, घुमलाह-तीन -चारि विशाल कक्ष मे संगे संग घुमलाह, चारूकात धुनि-धुनि सभ वस्तु कें देखैत, उनटओबैत रहलाह। अन्त मे पाग पहिरि फोटो खिचबओलनि । पछाति प्रदर्शनीक संबंध मे हस्ताक्षरयुक्त अपन विचार हिन्दी एवं अंग्रेजी में लिखि पठओलनि। एहि तरहे स्पष्ट अछि जे पं० जवाहर लाल नेहरू मे भाषा प्रेम कूटि-कूटि कए भरल छलनि ।


S.N  10TH SCIENCE OBJECTIVE QUESTION
PHYSICS (भौतिकी)
1. प्रकाश : परावर्तन तथा अपवर्तन 
2.  मानव नेत्र 
3. विधुत धारा 
4.  विधुत धारा का चुम्बकीय प्रभाव 
5.  उर्जा के श्रोत 
CHEMISTRY (रसायन विज्ञान)
6. रासायनिक अभिक्रियाएँ एवं समीकरण
7. अम्ल, भस्म और लवण
8. धातु और अधातु 
9. कार्बन एवं उसके यौगिक 
10. तत्वों का आवर्त वर्गीकरण
BIOLOGY (जीवविज्ञान)
11. जैव प्रक्रम : पोषण 
12.  नियंत्रण एवं समन्वय 
13. जनन 
14. अनुवांशिकता एवं जैव विकाश 
15. हमारा पर्यावरण 
16. प्राकृतिक संसाधन का प्रवंधन 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *